Saturday, July 24, 2021

सादा जीवन है वरदान

दिखावा, आडंबर, अहंकार  

कृत्रिमता का कर परित्याग

सरलता, सादगी, सदव्यवहार

शांत अंत: करण, उच्च विचार

सहयोग, सम्मान, परोपकार

सफल जीवन के मूलाधार ।

गांधी, बुद्ध, और महावीर

मुंशी प्रेमचंद, संत कबीर

विवेकानंद, रामकृष्ण परमहंस

सादगी भरा समस्त जीवन

इच्छाओं का कर दमन-शमन

सादगी के प्रतीक कई संत ।

सादगी से चरित्र उज्ज्वल

रहन-सहन स्वच्छ निर्मल

अहिंसा, सत्कर्म, जनहित कार्य

सादा जीवन, सही विचार

अनंत इच्छा दुःख का कारण

साधारण बनना है असाधारण ।

त्याग, तपस्या अप्रतिम

भारतीय संस्कृति की है नींव

सादगी है सफलता का पर्याय

सहनशीलता, संयम है अनिवार्य

सादा जीवन सचमुच वरदान

सादगी में ही मानव कल्याण ।।

Saturday, July 10, 2021

गामक शीतल बसात

थाकल-हारल सदिखन मोन

शहरक जिनगी कान बिनु सोन

आपाधापी ओ भागमभाग

अपन गीत, अपन राग 

अपनापनक आस मतिभ्रम

दुःख मे दुर्लभ भेटब संग 

एकहि विकल्प एक गोट आस 

गामक बाट, गामक ठाठ

शहरक हवा सँ सरिपहुँ

नीक गाम-घरक बसात ।

                    शहरक जिनगी फ़्लैट मे सिमटल

                    दूरक पड़ोसी, यंत्रवत जिनगी

                    सभ किछु उपलब्ध मुदा

                    अपस्यात लोकसभ

                    चैन नहि जिनगी मे

                    आपकता अछि सिकुड़ल

                    गाम-घरक जिनगी थिक

                    प्रकृतिक सनेश-अथाह

                    शहरक जिनगी सँ सरिपहुँ

                    नीक गामक शीतल बसात ।

शहर जकाँ गाममे सेहो

ईर्ष्या-द्वेष, राग-विराग

प्रतिस्पर्धा, ओदौदक संग 

आडंबर, मिथ्या अलाप

इंसानियत जीवंत दृष्टिगत

सहयोग, त्याग, उपकार

दुःख मे मदतिक लेल अग्रसर

बीसरि पुरनका बात

शहरक दवाय सँ बेसी हितकर

गाम-घरक मलय बसात ।

                    ऊँच घर पक्का कंक्रिटक

                    चौरगर चमकैत बाट सपाट

                    राति जगमग दिन जकाँ

                    फ़्लाईओवरक सगरे जाल

                    गामक आनंद कतय शहर मे

                    प्रदूषण सँ वातावरण व्याप्त

                    देशक आत्मा बसल गाम मे

                    सर्वविदित अछि, सर्वज्ञात

                    शहरक जिनगी ज़ँ अछि उत्तम 

                    अति उत्तम गाम-घरक बसात ।।