मिथिला अछि
नक्षत्र समान
प्रगति करत, आगु
बढ़त
आत्मनिर्भर बनत
गाम। देशक मानचित्र........
मिलिजुलि कय संकल्प करी
अभीष्ट अछि मॉडल गाम
मान बढ़त, सम्मान बढ़त
स्वच्छ, सुंदर बनत गाम। देशक......
विकासक बात करी
उन्नति करत अपन
गाम
समेकित प्रयास सॅ
मॉडल बनत मिथिला
धाम। देशक.....
मखानक खेती संग
सुअदगर मांगुर माछ
सभ गोटेक हरखित मोन
घर घर में धान-पान। देशक.....
सामाजिक सौहार्द
सॅ
समस्या के
समाधान
नहि होयत
भू-विवाद
अपनहि मे समाधान।
देशक.....
विकासक जुनून छन्हि
माथपर जिनकर सवार
युवा वर्ग बनल छथि
सूत्रधार, कर्णधार। देशक....
सहयोग, समन्वय
सॅ
स्थापित हैत
कीर्तिमान
प्रगति करत, आगू
बढ़त
आत्मनिर्भर बनत
गाम। देशक.....

No comments:
Post a Comment